रेलवे भर्ती बोर्ड (RRB) मे लाखो पद पर बहाली: एएलपी, तकनीशियन, एनटीपीसी आ ग्रुप डी लेल रोडमैप
भारतीय रेल युवा सभकेँ स्थायी आ सुरक्षित रोजगार उपलब्ध कराबय लेल रेलवे भर्ती बोर्ड (RRB) क माध्यम सं वार्षिक भर्ती कैलेंडर लागू कएने अछि। एहि व्यवस्था सं प्रतियोगी छात्र सभकेँ पहिनही सं स्पष्ट जानकारी भेटि जाइत अछि जे कहिया कोन पद लेल विज्ञप्ति जारी होयत, कहिया परीक्षा हेतय आ कहिया परिणाम घोषित कएल जायत।
रेलवेक प्रमुख भर्ती श्रेणियां मे सहायक लोको पायलट (ALP), तकनीशियन (Grade I & III), गैर-तकनीकी लोकप्रिय श्रेणियां (NTPC - स्टेशन मास्टर, गुड्स ट्रेन मैनेजर, सीनियर क्लर्क, कमर्शियल अप्रेंटिस), जूनियर इंजीनियर (JE), पैरामेडिकल स्टाफ आ लेवल-१ (ग्रुप डी) पद शामिल अछि।
मैट्रिक, आईटीआई (ITI), डिप्लोमा, बीटेक आ सामान्य स्नातक उत्तीर्ण छात्र सभ लेल ई स्वर्णिम अवसर अछि। विशेष रूप सं आईटीआई आ डिप्लोमा धारक छात्र सभ लेल तकनीकी पद सभ मे पैघ संख्या मे अवसर उपलब्ध कएल गेल अछि। रेलवे आब नियमित अंतराल पर रिक्त पद सभक गणना कऽ चरणबद्ध रूप सं आवेदन मंगा रहल अछि।
परीक्षा प्रणाली पूर्णतया कंप्यूटर आधारित (CBT) अछि। प्रथम चरण (CBT-1) सामान्यतः स्क्रीनिंग प्रकृतिक होइत अछि जाहि मे सामान्य विज्ञान, गणित, रीजनिंग आ करेंट अफेयर्स सं प्रश्न रहैत अछि। तकनीकी पद सभ लेल द्वितीय चरण (CBT-2) मे संबंधित ट्रेड वा विषयक विशेष तकनीकी परीक्षण सेहो कएल जाइत अछि। स्टेशन मास्टर आ लोको पायलट पद लेल कंप्यूटर आधारित अभिक्षमता परीक्षण (CBAT / साइको टेस्ट) उत्तीर्ण करब अनिवार्य अछि।
रेलवे परीक्षा मे सफलताक मूल मंत्र:
१. एनसीईआरटी (NCERT) मानकक आधार पर कक्षा ९ आ १० क सामान्य विज्ञान (भौतिकी, रसायन, जीव विज्ञान) पर विशेष पकड़ बनएनाय।
२. गणित मे अंकगणित, बीजगणित, त्रिकोणमिति आ ज्यामितिक आधारभूत सूत्रक निरंतर अभ्यास।
३. तकनीकी छात्र सभकेँ अपन आईटीआई ट्रेड थ्योरी अथवा इंजीनियरिंग संकाय क मुख्य विषय सभक गहन पुनरावृत्ति करब।
४. ऑनलाइन टेस्ट सीरीजक माध्यम सं कंप्यूटर स्क्रीन पर प्रश्न पढ़ि कऽ त्वरित उत्तर देबाक आदत विकसित करब।
भारतीय रेल देशक सब सं पैघ नियोक्ता अछि। सही योजना, निरंतर अभ्यास आ दृढ़ संकल्पक संग तैयारी करनिहार छात्र निश्चित रूप सं भारतीय रेल सेवा मे अपन उज्ज्वल भविष्य सुनिश्चित कऽ सकैत छथि।
💬 टिप्पणी
अपन टिप्पणी लिखू