मैथिली भाषामे नवीनतम समाचार
← मुख्य पृष्ठ
मधुबनी

मिथिलाक लाल विनयतोष मिश्रा बनलाह ओडिशाक नव पुलिस महानिदेशक (DGP), मधुबनी मे हर्षक माहौल

📅 17 अगस्त 2026 ✍ Admin 👁 55
मिथिलाक लाल विनयतोष मिश्रा बनलाह ओडिशाक नव पुलिस महानिदेशक (DGP), मधुबनी मे हर्षक माहौल
मधुबनी जिलाक पौना गाम निवासी १९९३ बैचक वरिष्ठ आईपीएस अधिकारी विनयतोष मिश्रा ओडिशाक नव DGP पदभार ग्रहण केलनि। राष्ट्रपति पुलिस पदक सं सम्मानित विनयतोष जीक उपलब्धि पर पूरा मिथिलांचल मे हर्षक माहौल अछि।

मधुबनी / भुवनेश्वर:

बिहारक मधुबनी जिलाक मूल निवासी आ १९९३ बैचक वरिष्ठ आईपीएस (IPS) अधिकारी विनयतोष मिश्रा ओडिशाक पुलिस महानिदेशक (DGP) केर पदभार ग्रहण कऽ लेने छथि। पूर्व डीजीपी वाई. बी. खुरानियाक १६ अगस्त २०२६ कें सेवानिवृत्त भेलाक उपरांत ओ एहि सर्वोच्च पुलिस पदक दायित्व केँ सम्हारलनि। हुनकर एहि उपलब्धि सं पैतृक गाम पौना, ननिहाल ठाढ़ी सहित पूरा मिथिलांचल मे खुशीक लहरि दौड़ि गेल अछि।

विनयतोष मिश्राक जन्म ३ नवम्बर १९६६ कें मधुबनी मे भेल छल। हुनकर पैतृक गाम मधुबनी जिलाक रहिका प्रखंड अंतर्गत पौना थिक, तँ ननिहाल अंधराठाढ़ी प्रखंडक ठाढ़ी गाम मे अछि। मैकेनिकल इंजीनियरिंगक पढ़ाई पूरा करबाक उपरांत ओ वर्ष १९९३ मे यूपीएससी (UPSC) सिविल सेवा परीक्षा उत्तीर्ण कऽ आईपीएस बनलाह आ ओडिशा कैडर चुनलनि।

तीन दशकक उत्कृष्ट सेवा आ विशिष्ट सम्मान:

लगभग ३० वर्षक अपन सुदीर्घ पुलिस सेवा काल मे ओ ओडिशा मे अनेक महत्वपूर्ण प्रशासनिक आ पुलिसिंग जिम्मेदारि केँ सफलतापूर्वक निर्वहन केलनि। डीजीपी बनबा सं पूर्व ओ ओडिशा क्राइम ब्रांच (CID) केर महानिदेशक पद पर कार्यरत छलाह।

हुनकर उत्कृष्ट आ विशिष्ट सेवा लेल हुनका कईटा राष्ट्रीय पदकेँ सं अलंकृत कएल जा चुकल अछि:

• वर्ष २००९: सराहनीय सेवा लेल 'पुलिस पदक'

• वर्ष २०१६: विशिष्ट सेवा लेल 'राष्ट्रपति पुलिस पदक'

• वर्ष २०१७: 'आंतरिक सुरक्षा सेवा पदक'

प्राथमिकता आ क्षेत्र मे उत्साह:

ओडिशाक डीजीपी पद सम्हारलाक बाद ओ स्पष्ट केलनि जे महिला सुरक्षा, नशामुक्ति अभियान, कानून-व्यवस्थाक सुदृढ़ीकरण आ साइबर अपराध पर कड़ा नियंत्रण हुनकर मुख्य प्राथमिकता रहत।

हुनकर डीजीपी बनबाक समाचार भेटिते पैतृक गाम पौना आ ननिहाल ठाढ़ी मे ग्रामीण लोकनि मिठाई बाँटि कऽ खुशी मनओलनि। स्थानीय लोकनि आ बुद्धिजीवी वर्ग कहलनि जे विनयतोष जीक ई ऐतिहासिक सफलता मिथिलाक युवा पीढ़ी लेल एकटा पैघ प्रेरणास्रोत थिक।

💬 टिप्पणी

टिप्पणी लोड भ' रहल अछि...

अपन टिप्पणी लिखू

ईमेल केवल Admin देख सकत छथि।
मोबाइल नंबर केवल Admin देख सकत छथि।
ईमेल आ मोबाइल नंबर सार्वजनिक नहि कएल जाएत। टिप्पणी Admin approval के बाद प्रकाशित होयत।